भागलपुरक स्वस्ति मिश्रा बनलीह इंडियाज बेस्ट ड्रामेबाज सीजन-2 केर वीजेता

    0
    316

    दिल्ली-मिथिला मिररः ज़ी टीवीक प्रतिष्ठित शो इंडियाज बेस्ट ड्रामेबाज’क फाइनल रविदिन सांझ अर्थात 6 मार्च कऽ संपन्न भेल। संपूर्ण मिथिला लेल इ इंडियाज बेस्ट ड्रामेबाजक इ सीजन अहि लेल महत्वपूर्ण रहल जे अहि बेरूक वीजेता मिथिलाक बेटी स्वस्ति मिश्रा भेलीह। भागलपुर शहरक तिलकामांझी, तुलसीनगर के रहय वाली आ मानस मिश्रा के सुपुत्री ‘स्वस्ति नित्या’ लगातार छह सप्ताह सं अव्वल आबि रहल छलीह।
    स्वस्तिक पिता पेशा स व्यवसायी छथि, आ माँ गृहणी (कार्यक्रमक दरम्यान, जज साजिद खान द्वारा नागिन मम्मीक उपाधी) छथि। अम्मा आ छुटकी के नाम सँ चर्चित ११ सालक स्वस्ति माउंट कार्मेल स्कूलमे कक्षा छहमे पढि़ रहलीह अछि। स्वस्तिक इ कोनो पहिल टीवी शो नहि छल अहि सं पहिने सेहो ओ विभिन्न चैनलक कतेको रियालिटी शो केर हिस्सा बनि चुकल छथि। स्वस्ति साल 2008मे सोनी पर प्रसारित चर्चित नृत्य शो ‘बूगी-वूगी’क सेमीफाइनल बनल छलिह तहिना साल 2010मे कलर्स चैनल पर प्रसारित ‘चक धूम-धूम’ मे क्वार्टर फाइनलमे स्थान बनेने रहथि।

    एतबे नहि इमेजिन पर प्रसारित भेल ‘नच बलिए’ मे सेहो भाग लऽ चुकल छथि। स्वस्ति साल 2012मे तखन चर्चा मे आयल रहैथ जखन कलर्स चैनल पर प्रसारित शो ‘छोटे मियां’क विजेता बनल छलीह। फाइनलमे स्वस्ति मिश्रक टक्कर वंश माहेश्वरी, पार्थ मेहता, तमन्ना दीपक, जसकरण नरूला आ कार्तिकेय मालवीय सं छलनि। विजेता भेलाक बाद स्वस्ति कें पांच लाख टकाक पुरस्कार आ एकटा कार देल गेलनि। अहि शो मे जजक रूपमे साजिद खान, सोनाली बेंद्रे आ विवेक ओवेराय छलथि। कार्यक्रम संचालक ऋत्विक धनजानी आ रवि दूबे छलाह त फाइनल मे हास्यकलाकार कपिल शर्मा आ गायक मिका सिंह सेहो उपस्थित छलाह।