शोभायात्रा’क संग त्रिदिवसीय “मिथिला विभूति पर्व’क” भव्य शुरूआत

    0
    269

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान झा: त्रिदिवसीय मिथिला विभूति पर्वक शनिदिन विधिवत शुरूआत कायल गेल। ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के प्रति कुलपति प्रो. सैयद मुमताजुद्दीन शनिदिन कार्यक्रमक उद्घाटन केलनि। शोभा यात्रा आचार्य सुरेन्द्र झा सुमन चौक सं भोगेन्द्र झा चौक होईत ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय परिसर स्थित नागार्जुन, डा. अम्बेदकर, महाराज रामेश्वर सिंह, महाराज महेश ठाकुर के प्रतिमा पर माल्यार्पण कय श्यामा मंदिर पहुंचल।

    अहि अवसर पर मुमताजुद्दीन के अलावा कुल सचिव डा. अजीत कुमार सिंह, पूर्व विधान पार्षद डा. विनोद कुमार चौधरी, कमला कातं झा, विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव बैधनाथ चौधरी बैजू, बुचरू पासवान, जीवकांत मिश्र, चंद्रशेखर झा, रामनारायण झा, महापौर गौड़ी पासवान, पवन चौधरी, विनोद कुमार झा, निर्मल कुमार चौधरी, देवानंद झा, विजयकांत झा सहित पैघ संख्या मे लोग शामिल भेलाह।

    रविदिन पांच गोटे के संस्थान सम्मानित करात। जाहि मे डा. प्रभात नारायण झा, डा. अरूणा चौधरी, डा. दिनेश नारायण सिंह, चंद्रेश आ झारखंड मैथिली मंच शामिल अछि। एकरा अलावा रविवार ‘सोशल मिडियाक विविध आयाम’ विषय पर संयोजक मणिकांत झा के संयोजन मे सेमिनारक आयोजन कायल जायत।