सीतामढ़ीमे 12 कार्टून नेपाली शराबक संग महिला गिरफ्तार

    0
    280

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: जिलाक बैरगनिया थाना पुलिस बुधदिन शहरकें वार्ड-6 गोशाला रोडकें समीप सं एकटा महिलाकें 12 कार्टून नेपाली सौंफी शराबक संग गिरफ्तार केलक अछि। महिलाक पहिचान डुमरवाना वार्ड-20 निवासी रेणु देवीकें रूपमे कएल गेल अछि।

    पुलिस सूत्रक अनुसार 12 कार्टूनमे 300 पीस नेपाली सौंफी शराब बरामद कएल गेल अछि। गिरफ्तार महिलाकें न्यायिक हिरासतमे पठाओल गेल अछि, जतय महिला सं पूछताछ कएल जा रहल अछि।