अस्पताल मे बच्चाक कीमत लगाबय बाली महिला गिरफ्तार

    0
    253

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी जिलाक झंझारपुर अनुमंडलीय अस्पताल मे मंगलदिन ओहि समय हंगामा मचि गेल, जहन गरीबीक हवाला दय क एकटा महिला अप्पन बच्चा के बेचबाक ऑफर देबय लागली।

    अस्पताल मे एकटा महिला दू टा छोट-छोट बच्चा के लय क आयल आ किछु महिला के बच्चा बेचबाक ऑफर देबय लागल। महिला जहन लोक के ऑफर देबय लागल त लोक के शक भेल जे महिला कतहु सं बच्चा चोरी कय आयल अछि।

    लोक सब पहिने अस्पताल प्रशासन के एही बातक जानकारी देलक बाद मे पुलिस के बजाओल गेल।आनन-फानन मे पुलिस अस्पताल पहुँचि कय महिला के पकड़ि लेलक। महिला स जहन पुलिस पूछताछ केलक त महिला बेर-बेर अप्पन नाम अलग-अलग बतेलक।

    पुलिस के शंका अछि जे करीब सप्ताह दिन पहिने झंझारपुर के डॉ. सचदेवा क्लिनिक स चोरी भेल बच्चाक तार एहि महिलाक सं जुडल अछि। महिला स पूछताछ केलाक संग-संग पुलिस दरभंगा के राजा खरबा’क ओहि दम्पति के सेहो बजेलक अछि जिनकर बच्चा चोरी भेल छल।