mithilamirror@gmail.com
+919560295811

नेपालमे मधेशीक संग पुलिसक झड़प, फायरिंगमे सात गोटेक मौत

नेपाल, मिथिला मिरर: बिहारकें सुपौल जिला सं सटल पड़ोसी देश नेपालमे पुलिस आ मधेशीक बीच भेल झड़पमे सात गोटेक मौत भए गेल। जिलाकेँ सप्तरी स्थित राजविराजमे नेपाल पुलिस आ मधेशी मोर्चाके कार्यकर्तामे झड़प भेल छल। अहि दौरान पुलिस प्रदर्शनकारी पर आंसू गैसक गोला दगबाक संग जमि कए फायरिंग केने छल। अहि घटनामे एखन धरि सात गोटेक मौतक पुष्टि भेल अछि। जहन कि … Continue reading नेपालमे मधेशीक संग पुलिसक झड़प, फायरिंगमे सात गोटेक मौत

पाक अधिकृत कश्मीर मे फेर लागल आजादी के नारा, पाक सेना के हटेबाक मांग तेज

कश्मीर, मिथिला मिरर: पाकिस्तानी सेना के बर्बरता’क खिलाफ पाक अधिकृत कश्मीर मे बृहस्पति दिन एक बेर फेर लोक सड़क पर उतरि आयल। मुजफ्फराबाद मे प्रदर्शन कय रहल लोक आजादी के नारा लगबैत पाक सेना के हटेबाक मांग केलक। पीओके मे शांतिपूर्ण ब्लैक डे प्रदर्शन मे शामिल लोक पर पुलिस लाठीचार्ज केलक। प्रदर्शनकारी के बुरी तरह सं पीटल गेल। प्रदर्शनकारी एक … Continue reading पाक अधिकृत कश्मीर मे फेर लागल आजादी के नारा, पाक सेना के हटेबाक मांग तेज

नेपाल मे 300 फिट नीचां नदी मे खसल बस, 21 गोटेक मौत 17 घायल

रक्सौल, मिथिला मिरर: नेपालक दक्षिण पश्चिमी चितवन जिला मे राजमार्ग सं एकटा बस पिछड़ि कय नदी मे करीब 100 मीटर’क गहराई मे खसि पड़ल, जाहि मे दू टा महिला समेत 21 गोटेक मौत भय गेल आ 17 गोटे घायल भय गेलाह। सूत्रक अनुसार मृतक मे 4 गोटे बिहारक सेहो बताओल जा रहल छथि। सूत्रक अनुसार रात्रिकालीन बस रौतहट स पोखरा जा रहल छल। अहि बीच नारायणगढ़ आ मुगलिंग सड़क … Continue reading नेपाल मे 300 फिट नीचां नदी मे खसल बस, 21 गोटेक मौत 17 घायल

मधेस आन्दोलन, सरकारक गर मे ससरफानी

काठमांडू नेपाल, मिथिला मिरर-कालीकांत झा तृषित: लोकतन्त्र मे सरकारक गठन हएब आ बहुमतक अभाव मे परिवर्तन हएब सामान्य प्रकृया मानल जाइत छैक। एकर बाबजूदो नेपाल मे ओलीजीक सत्ता परिवर्तनक बात प्रारम्भ मे त विचित्रे राजनितीक उथल पुथल दिस सँकेत कऽ रहल छलैक। अधर मे लटकल बर्तमान सम्बिधान के सत्ता पक्ष एहि तरहे व्याख्या करऽ लागल … Continue reading मधेस आन्दोलन, सरकारक गर मे ससरफानी

दशमी बाँचब त ने सुकराती नाचब, कालीकान्त झा “तृषित”

काठमांडू,नेपाल-मिथिला मिररः नेपालक प्रधानमन्त्री ओलीजीक डोली सत्ता सुखके नहिरा स उठि गेल छनि तत्काल कन्ना रोहट, नाज नखरा करैत किछु समय ठेलताह, मुदा एहि बेर माओवादी केन्द्रक अध्यक्ष प्रचँडजीक देयादी दोलत्ती सही निशाना पर लागल छैक। किछुए दिन पूर्व ओली जीक सरकार खसैत खसैत बाँचल छलनि जाहि मे चीनक धमकी त काज कएनहि छलैक ओलीजी … Continue reading दशमी बाँचब त ने सुकराती नाचब, कालीकान्त झा “तृषित”

लूट को धन फूफू को श्राद्ध ‘काली कान्त झा तृषित’

काठमांडू,नेपाल-मिथिला मिररः नेपालीमे इ कहावत बड़ प्रचलित छैक एकर तात्पर्य इ जे लूटिकऽ लाएल धन अर्थात बिना मेहनति के आएल पैसा अनावश्यको काजमे खर्च कऽ लैत अछि। एखन नेपालमे जनताक तीरल जे टैक्स छैक तकर सार्थक खर्च नहि भ रहल छैक, लूटक धन जकाँ बन्दर बाँट कएल जा रहल छैक। एकहि दिन मे सक्षम लोक … Continue reading लूट को धन फूफू को श्राद्ध ‘काली कान्त झा तृषित’

पूरी जाए बनचौरी ‘काली कान्त झा तृषित’

काठमांडू,मिथिला मिररः मधेस आन्दोलनक पसाही आब पहाड़ तक पहुँच गेल छैक। नेपालक आधा स अधिक जनसँख्या मधेसी,मुस्लिम, महिला, पहाड़क पिछड़ल वर्ग लगायत समस्त उपेक्षित वर्ग आन्दोलित छैक। देशक उन्नति प्रगति अवरूद्ध छैक मँहगाई, काला बजारी उतरोत्तर बढि रहल छैक। भूकम्प पीड़ित सबहक दुर्दशाक देखनाहर केओ नहि छैक। पहाड़ मे भूखमरी व्याप्त छैक, सहयोग मे आएल … Continue reading पूरी जाए बनचौरी ‘काली कान्त झा तृषित’

अमेरिकाक एटलांटा शहरमे सम्मानित भेलाह फिल्म अभिनेता: क्रान्ति आ राजेश

अमेरिका, एटलांटा,मिथिला मिरर-सुजित कुमार झाः २८ मई २०१६, एटलांटा, जॉर्जिया, संयुक्त राज्य अमेरिका, मैथिली सिनेमाकें सुपरस्टार क्रान्ति प्रकाश झा आ हिन्दी टेलीविज़न कें सुप्रसिद्ध कलाकार राजेश कुमार के एटलांटा मैथिल ग्रुप द्वारा २७ मई कऽ एकटा कार्यक्रमक आयोजन कैल गेल जाहिमे हुनका दुनू गोटे कें सम्मानित कयल गेलैन। झा द्वारा अभिनीत फिल्म “मिथिला मखान“ साल-2015क … Continue reading अमेरिकाक एटलांटा शहरमे सम्मानित भेलाह फिल्म अभिनेता: क्रान्ति आ राजेश

बौद्धिक वर्ग सदा प्रतिपक्ष, काली कान्त झा “तृषित”

सँसारक हरेक कार्यकलापक मर्यादा सहितक सीमा रेखा होइत छैक। जकरा उल्लँघन कएने अमर्यादित वा अशोभनीय कहल जाइत छैक, तथापिओ परम स्वार्थी लोक एहि सबके वेवास्ता करैत गिरगिट जकाँ रँग बदलैत अपन कुत्सित लिप्सा पूर्ति मे लागल रहैत छथि। अाइ के दिन मे एहन भजन मँडली के बड पूछ रहैत छैक, उन्नति के सीढी पर छलाँग … Continue reading बौद्धिक वर्ग सदा प्रतिपक्ष, काली कान्त झा “तृषित”

राष्ट्रपति महोदया ई देखाबटी तऽ ने अछि ? काली कान्त झा “तृषित”

जेना ओकाइत सँ छोट छीन होइतो नेपाल मे संसार मे सभसँ बेसी सभासद वा सं. सदक संख्या छैक तहिना नेताक संख्या सेहो संसार मे सब बेसी नेपाले मे हएतैक बरू इ मानि सकैत छी जे कार्यकर्तासंख्या मे नेपाल पिछड़ल होअए. नेताक एहन उर्वर भूमि रहितो राजनेताक रूप मे मान प्रतिष्ठा पाबऽ बला नेताक सर्बथा आभावे … Continue reading राष्ट्रपति महोदया ई देखाबटी तऽ ने अछि ? काली कान्त झा “तृषित”