साक्षी मलिक कें कांस्य पदक, 5-0 सं पिछड़लाक बादो जीतलथि कांस्य

    0
    282

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः ब्राजिलमे आयोजित रियो ओलंपिक-2016मे अंततः भारतक पददक अकाल समाप्त भेल। 58 किलोग्राम फ्रीस्टाइल कुश्तीमे कांस्य पदक जीत कय साक्षी पददक तालिकामे भारतक नाम दर्ज करौलनि। बुध-बृहस्पतिकें देर राइत भेल अहि मुकाबलामे साक्षी मलिक कर्गिस्तानी पहलवान ऐसुलू ताइनीबेकोवाकें हरा भारतक लेल पहिल पदक जीतलथि।

    mithila-mirror-image-24साक्षी मलिक शानदार खेलक प्रदर्शन करैत अहि मैचमे अपना आपकें वापस अनलैथ। साक्षी मैचमे 5-0 सं पाछा भए गेल छलीह मुदा अंतिम 30 सेकंडमे दमदार प्रदर्शन करैत साक्षी बाजीकें पलटि देलनि। साक्षी मलिक 8 मे सं 5 मैच जीत कए भारत लेल रियोमे तिरंगा फहरौलनि।

    mithila-mirror-image-21हालांकि क्वार्टरफाइनलमे साक्षी हाइर गेल छलथि मुदा साक्षीकें हरावैय वाली पहलवानक इंट्री फाइनलमे भए गेलनि ओहिकें बाद साक्षीकें कांस्य पदक जीतवाक एकटा आओर मौका भेट गेलनि आ साक्षी मलिक ओहि अवसरकें पूर्ण लाभ उठावैत भारतवंशीकें खुश हेवाक एकटा पैघ अवसर प्रदान कैलनि। मुदा साक्षीक पदक सं जतेक देशवासीकें खुशी हेतनि ओहिसं बेसी अहि बात पर सोचवाक आवश्यकता सेहो अछि जे जंनसंख्याक दृष्टिसं दोसर सब सं पैघ देशमे एकटा कांस्य तखन अवैत अछि जखन रियो ओलंपिक समाप्त हेवाक दिस अग्रसरित अछि। मामला चाहे जे भी हो मुदा साक्षी मलिक कें मिथिला मिरर टीमकें दिस सं हार्दिक बधाई