साप्ताहिक श्रृंखलामे योग सं जुड़ल विषय पर जानकारी देताह योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा

    0
    322

    yog-guru-ravi-vyom-shankar-

    दिल्ली-मिथिला मिररः अपन नव रंग, रूपमे अयलाक बाद आ सप्ताहक सब दिन अपने लोकिनक लेल किछु ने किछु साप्ताहिक विशेषांक लऽ कऽ ऐबाक कोशिश मे अछि। बृहस्पतिदिन कैरियर, शनिदिन ज्योतिषक बाद रविदिन आब योग पर चर्चा कैल जायत। मिथिला आ योगक बहुत पुरान संबंध रहलैक अछि आ अहि कड़ीमे युवा मैथिल योगाचार्य रवि व्योम शंकर झा अपने लोकनि कें योगक विभिन्न पहलू पर प्रकाश देताह।
    योगाचार्य रवि व्योम शंकर झाक दाबी छन्हि जे ओ लगातार 100 मीनट सं बेसी तक शीर्षासन करैत छथि। योगाचार्य मिथिला मिररक माध्यम सं मैथिलीमे सहज रूप सं योगक जानकारी देताह। त अपने सब बनल रहु मिथिला मिररक संग आ योग पर विभिन्न तरहक ज्ञानकें जानकारी लैत रहू।